Thursday, January 24, 2019

मधुबनी टीशन पर हमर कुछ मोनक शब्द
.
:::::::::::::::::::::::::XXX:::::::::::::::::::::::::
.

खुशबू अप्पन माटि
मर्जी अप्पन धुनबला
आँखि संग दिमाग खुलल
जे सुनलौं मधुबनी

टीशन मधबन्नी व् पंडौल
कमलपूर बला
बाजे चाहे पौने बारह खूब
जे घुमलौं मधुबनी

मंगरौनी सौं टीशन आ
टीशन सौं भौआड़ा
टाकीज़ तांगा सबकुछ
जे देखलौहं मधुबनी

भीतर प्लेटफार्म मधुबनी
पेंटिंग्स सौं सजल
साफ़ सुन्नर मैथिलि
सौं सुनलौहं मधुबनी

आना चारि लेमनचूस चारिटा
संगे एगो पेड़ा
ताश-मूंगफली टोली सौंसे
तेहन छल मधुबनी

दूर सौं दर्शन मात्र आब
कतय गेल वो चौराहा
गामक अंगना शहरक डेरा
केहन थिक मधुबनी

दिन महीना साल बीतल
बीतल वो जमाना
आदि सौं नवयुग तक
बेर बेर फलल मधुबनी

देखलौहं विश्वप्रसिद्ध कलाकृति
सौं सुशोभित पूरा
अनुभूति करू अप्पन
देशप्रसिद्ध टीशन मधुबनी

~ विजय बाबू

No comments:

Post a Comment