Wednesday, September 4, 2019

प्रकृति मन - यत्र तत्र सर्वत्र

*प्रकृति मन - यत्र तत्र सर्वत्र*

सूनू सूनू हे रे बौवा, रे दोस् जेबै घूमैला
मोन सँ दूर नै रहतै, पर्वत-घाटी उड़ैला,
मन हरियर रण मिठगर इ आबोहवा में
अहि छुट्टी में जेब्बै प्रकृति के सैर ला ।

नूनू मून्नू की रै बौवा, शहर जो काज ला
मोन रहितो दूर रहतौ, डीह-आरि देखैला
गामक खेतक मौज, मिट्टी सँ प्रकृति मन
छुट्टी तू ले बौवा, पैतृक संपत्त संजोबेला ॥

देख तू स्वीटज़रलैंड आ घूम चाहे कश्मीर
प्रकृति रंग एक्कहि मर्ज़ी मूदा तोरे आख़िर,
रूप रहतौ बर बर घरे-घर, जेतबे छौ ततबे
जीवनक पद्धत सँ हटिक, नै छै कोनो ज़ंजीर ।

उठू-उठू यौ बौवा, भिन्सरे अनहारे घूमैला
मोन सँ दूर नै क़तओ, हरियाली सँ बगिया,
दिनचर्या अछि व्यस्त, मानलौ नै लीय कष्ट
नित्य प्रकतिक हवा में, जीवन बनय जूरैला ॥

सादर
विजय बाबु

No comments:

Post a Comment