Sunday, September 18, 2011

‎===मिथिला आ अपन मिथिला - भाग-२===


          ‎===मिथिला आ अपन मिथिला===
                      ====भाग-२====

आबि रहल अछि 'तील-संक्रान्ति' ज़ेबई हम सब अपन गाम |
पत्नी कह्लैन्ह द दियौ छुट्टी के अर्जी आ ला लीय अवकास ||
पति कह्लैन्ह देखाई छी मौका आ द देब हम अपन दरखास्त |
रोज सोचैई छी आई जायब आ आई करब हम छुट्टी के बात ||
केलहू आई गॅप मुदा बॉस कह्लैथ ई कौन पर्व आ कौन त्योहार |
अखन नई मिलत कुनो छुट्टी कियाक ता काम अच्छी अपार ||

आबि रहल अछि 'होली आ लाल-गुलाल' ज़ेबई हम सब अपन गाम |
पत्नी कह्लैन्ह द दियौ छुट्टी के अर्जी आ ला लीय अवकास ||
पति कह्लैन्ह देखाई छी मौका आ द देब हम अपन दरखास्त |
रोज सोचैई छी आई जायब आ आई करब हम छुट्टी के बात ||
भेल गॅप मुदा बॉस कह्लैथ सब जायब तखन कोना हेतई काम |
अखन नई मिलत कुनो छुट्टी अही पर अछि कार्यभार अपरंपार||

आबि रहल अछि 'दशहरा' आई बेर ज़ेबई हम सब अपन गाम |
पत्नी कह्लैन्ह द दियौ छुट्टी के अर्जी आ ला लीय अवकास ||
पति कह्लैन्ह देखाई छी मौका आ द देब हम अपन दरखास्त |
रोज सोचैई छी आई जायब आ आई करब हम छुट्टी के बात ||
भेल गॅप मुदा बॉस कह्लैथ नहि करू दू दिन स ज़्यादा बात |
नहि लेलौ कुनो छुट्टी कियक त नहि बनत दू दिन स कुनो काज ||

आबि रहल अछि 'दीपावली-छठ' अब जेबे करब हम अपन गाम |
पत्नी कह्लैन्ह द दियौ छुट्टी के अर्जी आ ला लीय अवकास ||
पति कह्लैन्ह देखाई छी मौका आ द देब हम अपन दरखास्त |
रोज सोचैई छी आई जायब आ आई करब हम छुट्टी के बात ||
भेल गॅप आ मिलल छुट्टी आ भेटल १० दिनक अल्प अवकास |
गेलौ गाम मनैलौ पर्व, बाबूजी कहला विधिलेल नहि आओ गाम ||

आबि रहल अछि 'क्रिसमस-नवसाल' रहब भैर हफ़्ता अपन गाम |
पत्नी कह्लैन्ह द दियौ छुट्टी के अर्जी आ ला लीय अवकास ||
पति कह्लैन्ह देखाई छी मौका आ द देब हम अपन दरखास्त |
रोज सोचैई छी आई जायब आ आई करब हम छुट्टी के बात ||
भेल गॅप मुदा बॉस कह्लैथ सालक अंत में हम जायब अपन गाम |
लिए ज़िम्मेवारी आ संभालू कार्यभार, आबैई छी त मनायब नवसाल ||

---

ई अछि मजबूरी आ इहा अछि नौकरी, त कोना होयत सब टा काज |
इंतज़ार कराल जाओ अगला हफ़्ताक, लिखब हम एकर दोसर भाग ||

---विजय कुमार---

No comments:

Post a Comment